tag:blogger.com,1999:blog-79155775374910553172024-03-13T21:14:31.603+05:30पोथी ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.comBlogger33125tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-71714811047661547892018-12-08T09:47:00.000+05:302020-04-24T21:22:56.568+05:30प्रवासी
पेट जखन
भारी पड़य लगैत छैक
प्रेम पर
त' डेग स्वतः
निकलि जाइत छैक
दानाक ताक में
ट्रेन छोड़ैत चलि जाइत छैक
स्टेशन
आ छूटल चल जाइत अछि
अपन
माटि-पानि , गाछ-वृच्छ
घर-दुआरि
स्टेशन केर अंतिम छोर धरि आबि
ठमकि जाइत छथि
संगी-साथी
भाय-बहिन, माय-बाप
बाबा-बाबी
आ नुका लैत छथि
अपन-अपन
नोरायल आँखि
संग में नेने चलि अबैत छी
मनक पौती में
ओरिआओल
स्मृति मात्र
जकरा देखि
नै जानि कतेक बेर
बीच ऑफिस में, कॉलेज में
लोक लाजक कारणे
पीबि लैत छी
अपनहि नोर
समय अपन चालि चलैत कहैत अछि
ई लिय' "शह"
आ अपना लोकनि
अपन-अपन "मात" बचयबाक
युक्ति सोचय में लागल रहैत छी
अनवरत
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-5286748289505367922017-09-25T18:04:00.001+05:302017-09-25T18:04:33.399+05:30भगवती वंदना
अति दूर सं आयल अकिंचन हम बटोही द्वार पर
विनती करू स्वीकार माँ कर जोड़ि दूनू ठाढ़ छी
काली अहीं, दुर्गा अहीं, तारा अहीं हे अम्बिके
श्यामा अहीं, गौरी अहीं, छी माँ अहीं अम्बालिके
हे सिंहवाहिनि अहीं सृष्टिक गति अहीं संहार छी
विनती करू स्वीकार.....
छी शैलपुत्री, ब्रह्मचारिणि नाम सं वन्दित अहीं
छी सिद्धिधात्री, कूष्मांडा रूप में पूजित अहीं
कात्यायिनी माँ अहीं जीवन सृष्टि केर आधार छी
विनती करू स्वीकार.....
स्कंदमाता, महागौरी रूप में चर्चित अहीं
छी कालरात्रि, चंद्रघंटा रूप में अर्चित अहीं
नौ रूप नवदुर्गा कहाबय, सभक तारणहार छी..
विनती करू स्वीकार.....
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-52771856666381820112017-03-11T18:30:00.000+05:302017-03-11T18:30:02.744+05:30फगुआ
एक बरख केर बादे आओत फेर ई पावनि फगुआ
कोनटा धयने की बैसल छैं रे बुरबक दिनजरुआ
मलपूआ तरकारी संगहि दहि -बाड़ा केर योग
काजू किसमिस किदन कहांदन छप्पन तरहक भोग
सबटा पाबि निकललहुँ फेर ऊपर सS दS भंगगोला
हाथ में रंगक पोटली छल, संग संगी साथिक टोला
बाबा-बाबी, काका-काकी सब भैया ओ भौजी
कियो ने छोड़लनि, ऊपर-नीचा रंगा गेलहुँ हम औ जी
हमहूँ बयसक अनुपाते में सबके रंग लगयलहुँ
टोल भरिक सगरो भौजी में अप्पन धाख जमयलहुँ
छोटका-मोटका ननकिरबा सब केर छल अप्पन टोली
घूमि - घूमि क खेला रहल छल सब अपना में होली
हमरो पड़ि गेल मोन, कोना उत्पात करी नेना में
रही हम सेनापति पद पर उत्पाती सेना में
एही हुड़दंगक चक्कर में हम बड़ मारि खेने छी
मुदा ने फगुआ में तें आई धरि कहिओ दम्म धेने छी
रंग खेलेबा में नहि बाबू हमरा स क्यौ अगुआ
कोनटा..........................................................
पहिलुक बेर केर बात कहै छी गेल रही हम सासुर
सार-सारि सरहोइजक सेना रंग लगब लेल आतुर
सर्वप्रथम अप्पन "हे यै" केर हम आवाज़ लगौलहुँ
मुदा भरल सासुर में अपनहि अप्पन नाम हसौलहुँ
कनियाँ हमरो बीस छली धरि चालाकी में भाई
ककरो लग नहि कहबै ई गप जे कहैत छी आई
सुतले में भरि इच्छा हमरा लगा खूब कय रंग
छली निपत्ता भोरहरबे सं संगी साथिक संग
अपने मुँह छल भेल तेहन जे एखनहुँ हंसी लगैय
कहलक सार कहू यौ ओझा "आब मोन केहन लगैय"
एहि दिस एकसर छलहुँ हम, ओहि दिस सासुर सेनानी
तखनो सबके मोन पाड़ि देलियनि हम हुनकर नानी
की नहि भीजल, की नहि तीतल, की नहि रंगहि रंगा गेल
कोन सेहन्ता बाँचल छल जे ओहि दिन नहि पूरा भेल
एखनो धरि अछि मोन मीत रौ सासुक हाथक तरुआ
कोनटा............................
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-26983488610996074622016-11-08T15:27:00.000+05:302018-08-15T14:42:09.333+05:30भारतवर्ष
हिंदुस्तान कही वा भारत वा की जम्बूद्वीप
आब कहै छी इंडिया सब क्यौ सेहो चलू छै ठीक
चिड़ै छलै सोनाक देश कहबै छल आर्यावर्त हमर
सकल विश्व में, अद्भुत अनुपम ई थिक भारतवर्ष हमर
बालक भरत जाहिठाँ बाघक मुँह केर दांत गनै छथि
कृष्ण जाहिठाँ नागक फन पर जा क नृत्य करै छथि
भीष्म जाहिठाँ शरशय्या पर मासक मास रहै छथि
राम जाहिठाँ वचनपूर्ति लेल सब किछु त्याग करै छथि
विश्व कहत, देखबै एक दिन जे भारत थिक आदर्श हमर
सकल विश्व में अद्भत,अनुपम............
राणा प्रताप वा होथि शिवाजी वा की बाजीराव
वा पृथ्वीराज-चंदवरदाई केर हम कथा सुनाऊ
भगत सिंह, आज़ाद, सावरकर, रानी लक्ष्मीबाई
देशक हित बलिदान देलनि जे सबहि पूज्य छथि आई
सब महान सेनानी केर अछि सादर चरण स्पर्श हमर
सकल विश्व में अद्भुत, अनुपम......
मानल गाँधी, बुद्ध महावीरक छी हम अनुयायी
मुदा माथ पर चढ़ि नाचब त हमहूँ आतातायी
भूमिक टुकड़ी हेतै आन लेल, हम्मर भारतमाता
देश अपन अछि हमही सब छी भारत भाग्य विधाता
ई चुटपुजिया नेता सब नै दबा सकत संघर्ष हमर
सकल विश्व में सब स अनुपम....
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-30549115783768949062015-04-30T17:50:00.000+05:302015-04-30T17:50:23.506+05:30भूकंप
डोलल धरती आयल भूकंप
सगरो नगर मचल हड़कंप
बच्चा, बूढ़, जवान हो किंवा
चिड़ी चुनमुनी कीट फतिंगा
डोलि रहल छल जेना मतंग
जे जहिठां छल बाहर भागल
प्राण सभक छल उपरे टांगल
धरती फाटल बनल सुरंग
तोहरे कSहल जग भरि मानय
तों हीं सब किछु के नहीं जानय
कियS उठौलहक एहन तरंग
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-85289906006724937402014-10-30T19:51:00.000+05:302014-10-30T19:51:04.802+05:30आत्मश्लाघा
पाग दोपटा सँ हम्मर सम्मान करइ जाउ
गुणगान करइ जाउ औ प्रणाम करइ जाउ
कतेक काज कयल हम मैथिलीक लेल
हमरा नहि चिन्हय से छुच्छ बकलेल
की सब कयलहुँ हम बखान करइ जाउ
पाग दोपटा सँ हम्मर सम्मान करइ जाउ
हम बजैत छी जे अछि ततबे टा सत्य
अनकर बजबा केर कि कोनो महत्व
ऐना बैसू जुनि हमर मानदान करइ जाउ
पाग दोपटा सँ हम्मर सम्मान करइ जाउ
पुरस्कार पयबा केर हमरो अछि लौल
धिया-पुता घर में अछि कयने किलोल
पारितोषिक के अपनहि दोकान करइ जाउ
पाग दोपटा सँ हम्मर सम्मान करइ जाउ
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-46752224738782221962013-10-14T18:47:00.001+05:302013-10-14T19:46:37.685+05:30प्रेम
प्रेम
आब रहि गेल अछि
शब्द्कोशक कोनो पन्ना पर अंकित
एकटा शब्द मात्र
जे वास्तविकता में
तहिना पाओल जाईत अछि
जेना "म्यूजियम" में राखल
कोनो वस्तु
जS कतहु देखा पड़ैत छैक
प्रेम आई
तS मात्र कागतक फूल जेकाँ
जे देखनहुर तS होइत छैक
मुदा गंधहीन
जे फूल रहितो फूल नहिं थीक
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-75677975471701791302013-10-12T18:26:00.000+05:302013-10-12T18:26:11.468+05:30बखरा अप्पन बाँटि लिय...
मन पड़ैत अछि, एक्कहि थारी में नेना में खयल करथि
हमरा अपने हाथ नहाबथि, अपने तखन नहायल करथि
जे कपड़ा-लत्ता तक में कहिओ नहीं कहलनि छाँटि लिय
से कहैत छथि आब भैयारी, बखरा अप्पन बाँटि लिय.
कथी- कथी के बखरा लगतै तकरो लिस्ट भेल तैयार
आँगन, बाड़ी, कोठली चौकी, सब बंटबाक भेलई नेयार
हम कहलियनि स्मृति सेहो आई धरिक सब छाँटि लिय
ओ कह्लनि जे आब भैयारी, बखरा अप्पन बाँटि लिय.
हम कहलियनि की बाँटब ई घास-फूस आ आक-धथुर
थोड़-बहुत होइते रहैत छै संबंधो में तीत मधुर
माय-बापक हम प्रेम कोना कS आधा आधा राखि लिय
ओ कह्लनि जे आब भैयारी, बखरा अप्पन बाँटि लिय.
सजल नेत्र जे माय-बापक छल कोना कS बंटितहुं अहीं कहू
एतबा दिनका प्रेम अहंक जे कोना कS बंटितहुं अहीं कहू
अपना पर अधिकार ने छीनू, हमरो सबटा राखि लिय
ओ कह्लनि जे आब भैयारी, बखरा अप्पन बाँटि लिय.
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com2tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-46335226141324832762013-08-29T19:05:00.000+05:302018-05-20T16:06:30.346+05:30देश आई ई कानि रहल अछि
पिछरि- पिछरि क खसय रुपैया
महगी करबय ताता - थैया
अर्थशास्त्र केर बड़का बड़का
पंडित के ने गुदानि रहल अछि
देश आई ई कानि रहल अछि
बलात्कार केर प्रतिदिन घटना
मुंबई, दिल्ली वा हो पटना
धंसल वासना केर दलदल में
लोक, लाज नहीं मानि रहल अछि
देश आई ई कानि रहल अछि
नेता सब भेल चोर-उचक्का
तें उतरल अछि देशक चक्का
लुटबा लेल छुटपुजियो नेता
सब क्यौ समय अकानि रहल अछि
देश आई ई कानि रहल अछि
आई समस्या देश सुरक्षा
वृहन्नला की करतै रक्षा
अपनहिं कुर्सी बचबS खातिर
कूदि रहल अछि, फानि रहल अछि
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com2tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-82009916494286698782013-08-20T18:49:00.001+05:302020-04-24T21:15:36.656+05:30विवशता
छल <o:p></o:p>
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-71755732597796016102013-06-15T13:00:00.000+05:302020-04-18T11:40:52.854+05:30जीवन-मृत्यु
की थिक जिनगी, मृत्यु कथी थिक, के ई बूझि सकल अछि
जिज्ञासु मन हमरा सं सदिखन ई पूछि रहल अछि
के छी हमसब, किए अबै छी ,
जे करैत छी , किए करै छी
किछुए दिन छी, मर्त्यलोक में ,
प्रतिदिन ओहि लय किए मरै छी
एहि जिनगी केर बाद कथी थिक , क्यौ की देखि सकल अछि
जिज्ञासु मन हमरा सं....
ईश्वर छथि त ' कत ' रहै छथि
किए ने सबहक कष्ट हरै छथि
मुदा ने छथि संसार एते टा
कहू तखन जे के चलबै छथि
प्रश्न शिथिल कयने जाइत अछि, किछु नई सूझि रहल अछि
जिज्ञासु मन हमरा सं....
एही गुनधुन में हम मातल
मूर्ख अपन हम जिनगी काटल
पैघ लोक सब बड़ ज्ञानी सब
मानल हम छी बेकूफ छाँटल
मुदा निरुत्तर सबठाँ सं कविमन ई घूरि चुकल अछि
जिज्ञासु मन हमरा सं....
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-57958899507348945982013-06-04T21:19:00.001+05:302013-06-09T09:40:06.389+05:30सुनल नबको ई मंत्री जी चोर एलैए...
फेर मंत्री के फेरबदल थोड़ भेलैए
सुनल नबको ई मंत्री जी चोर एलैए
सतत मैडम जी, सर जी अनघोल केने छै
सीट पाँछा स' अप्पन ई मोल लेने छै
तें एहि बेर कपाड़क ई जोर भेलैए
सुनल नबको
कांड एतबे नै सुनू सुनूँ और केने छै
जहल जयबा केर सेहो ई मौज नेने छै
मुदा बोली में जीत गेलै, शोर भेलैए
सुनल नबको
आब कहिया धरि चलतै ई घुघुआमना
कहू उठबई नै देश तखन बांचत कोना
आंखि फोलू दुनू आब भोर भेलैए
सुनल नबको
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-56780288422228121532013-04-19T16:10:00.001+05:302018-05-22T01:47:43.537+05:30ग़ज़ल (जकरा जतबा लहि जाइत अछि )
22 22 22 22
किछुओ संगे नहि जाइत अछि
एहीठां सब रहि जाइत अछि
हम कतबो किछु लीखी तैयो
कागत सादे रहि जाइत अछि
जतबा जे किछु सुख अरजल से
नोरे संग सब बहि जाइत अछि
कतबो पैघ महल हो एक दिन
समयक आगाँ ढहि जाइत अछि
कतबो सुमिरन करी, प्रार्थना
आब ओतय धरि नहीं जाइत अछि
आई समय ओकरे होईत छै
जकरा जतबा लहि जाइत अछि
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com3tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-9994646342040501292013-04-19T13:00:00.000+05:302013-06-04T21:50:22.661+05:30 हम कि लिखू
कखनो क' हमरा नहीं फुराइत अछि
कि लिखू
लिखबा में कलम थरथराइत अछि
कि लिखू
हम लोकक झगड़ा दान लिखू
की हृदयक अपन बखान लिखू
वा अपना लोक कें आन लिखू
फूसिए ककरो गुणगान लिखू
हम कि लिखू
हम राजनीति कें भ्रष्ट लिखू
महगी स' जनता त्रश्त लिखू
फूसिए अपना के व्यस्त लिखू
वा सबहिक मन कें कष्ट लिखू
हम कि लिखू
हम प्रेम लिखू कि घृणा लिखू
सुख़-दुःख एक्कहि रंग कोना लिखू
फुसिए ककरा झुनझुना लिखू
अनका मन स' हम कोना लिखू
हम कि लिखू
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-81000120344244801282011-11-09T09:10:00.001+05:302020-04-18T12:40:09.331+05:30दुनियादारी नहि बूझि सकल ........
एक दिन हमरा छल भेट भेल
संसारिक आपाधापी मे रहितहु
ओहि स निश्चिंत,
सुगमता स जीवनपथ पर चलइत
अजगुत स्वभाव केर धनी
एकटा लोक तेहन
जकरा देखितहि ई भेल
कल्पना यैह रहल हेतनि भगवानक
मानव रचनाकाल
निश्छल,पवित्र छल गाय जेकाँ
कोमल हृदयी छल माय जेकाँ
ओ निर्मल छल निर्झर जल सन
व्यक्तित्व समूचा दर्पण सन
ओ शांत सुदूर देहात जेकाँ
उपियोगी केरा पात जेकाँ
ओ पावन चारू धाम जेकाँ
आ मीठ स्वभावे आम जेकाँ
नहि ओझरायल जट्टा सन छल
नहि मधुमाछिक छत्ता सन छल
नहि धूर्ते छल सियार जेकाँ
नहि निष्ठुर पूषक जार जेकाँ
अपना कें सधने, योगी छल
दुनियाक नजरि में रोगी छल
सदिखन सबठा सत्कार करय
निस्वार्थ सभक उपकार करय
बस एक्कहि टा छल एब मुदा,
नहि अर्थ प्रतिष्ठा लूझि सकल
दुनियादारी नहि बूझि सकल
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-22115275791243362832011-05-26T10:53:00.001+05:302011-05-26T11:00:24.422+05:30आऊ राष्ट्र निर्माण करी...
अपन अपन क्षमता के परखी ,
अनकर सब सम्मान करी , आऊ राष्ट्र निर्माण करी....
कहिओ सोचल बालक नरेन्द्र सँ कोना विवेकानंद भेला
ध्यान देल कहिओ जे गाँधी कोना महात्मा बनि सकला
कहिओ विचार ई आयल कोना, किछु नाम अमर इतिहास बनल
कहिओ ई मन में भेल , कोना ध्रुव अपन बात पर अडिग रहल
अपनों सब ई क' सकैत छी,
बस शक्तिक अपन आह्वान करी, आऊ राष्ट्र निर्माण करी....
ई देश आई भ्रष्टाचारक अति घृणित रोग सँ ग्रसित भेल
जकरा लग अछि सामर्थ्य, विभव से अपने ताले नचैत गेल
जनिका पर छनि नेतृत्व भार से अपने रोटी सेकलनि अछि
आ जनिका पर दारोमदार से बैसि तमाशा देखलनि अछि
की ककरो नहीं एतबा पलखति,
जे देश अपन अछि ध्यान करी, आऊ राष्ट्र निर्माण करी....
एकसर ताकत की क' सकैत अछि, आई हजारे* देखा देलनि
फेर अलख ओ राष्ट्र भावना केर मानस में जगा देलनि
जागू आबो संकल्प लिय' ओ राष्ट्र धर्म निर्वाह करू
ई देश अपन अछि डगमगाइत ज', मिली जुली सब क्यौ ठाढ़ करू
मुदा ताहि सब सँ पहिने
अपना चरित्र निर्माण करी , आऊ राष्ट्र निर्माण करी....
हजारे- अन्ना हजारे
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-62798186991579290302011-05-11T20:56:00.002+05:302011-05-16T07:25:04.427+05:30फगुआ-२
फगुआ में मुंह रंगायल तेहन सब लागि रहल छी
जे चिन्ह्बा में देखबा सँ' नहि क्यौ आबि रहल छी
मुदा कहू कहिया मनुक्ख चिन्ह्बा में आयल
त' रंग अबीरक दोष किय' हम मानि रहल छी
फगुआक नाम पर संगी सबकें भिजा देलहुं अछि
कतेक बाल्टी पानि आइ सब हेरा देलहुं अछि
मुदा कहू की नहि अकारणो नष्ट करै छी
त' किय' दोष फगुआक माथ पर मढ़ी रहलहुं अछि
बड़का-बड़का बोतल राखल सबहक दलान पर
सब खा-पी क' अछि टुन्न भेल फगुआक नाम पर
मुदा कहू पदवीक नशा की नहि रहैत अछि
तखन किय' आक्षेप कहू पावनिक शान पर
अपना प्रवित्ति में नहि सुधार क्यौ आनि रहल छी
रंग अबीरक.................
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com1tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-20945316962373056992011-05-11T20:54:00.000+05:302011-05-11T20:54:25.857+05:30फगुआ-१
कत्त' जा रहलहुं अछि बौआ
हुडदंग हेतई बाहर में, पुछि देल्थिन माय ओकर
जखन-२ निकली हम टोकब जरुरी छौ,
होली छै,
संगी सब संगे हम रंग खेला फेरो त'
घूमि-घामि एही ठाम आयब ने
खिसिया क' बाजल ओ
बेसी नहीं दूर जायब,
छौंड़ा सब पी-पा क' घुमैत रहैत छैक
सड़कहिं पर मारि-पीट करैत रहैत छैक
बड़बड़ाइत मनहि मन, ठीक छै, ततबा कहि
झट मोटरसाईकिल उठा , विदा भेल जल्दी सँ
गाड़ी सँ' नहि जाऊ, माय फेर टोकि देल्थिन
मुदा एतेक सुनबा केर फुर्सति कहाँ ओकरा,
अपनहि टा सुनलनि ओ
ईम्हर बाबू साहेब, अयला संगी सब लग
ओहि दिन के छोडितनि?
रंग आ अबीर सँ' शरीर हिनक रंगा गेल
जाबत धरि बुझबा में अबितनि किछु
ताबत धरि हरियर आ पीयर सँ देह-हाथ सना गेल
होली है, होली है, सस्वर चीत्कार भेल
तकर बाद किछु बोतल मुंह में ढरा गेल
नाच गान सेहो जरूरी एहि अबसर पर
अनका हो दिक्कत त' हिनका की ताहि सँ'
एखन नब शोणित अछि
खयता नहि, पीता नहि, नचता नहि एखने
त' ई सब की होइत छै बुढ़ारी में ककरो सँ'
नचबा केर बाद छलैक, प्लान कतहु घुमबा केर
एक्कहि टा गाड़ी छल सेहो दुपहिए टा
ताही पर चारि गोटे, ककरा परवाहि मुदा ,
ततबे नहि बैसल सब ओही पर जुआने जखन हो
आ स्पीड गाड़ी के सय सँ' ज' कम हो
त' सम्मानक क्षति नहि ई?
सा रा रा सा रा रा सब क्यौ गबैत ,
बात हनुमानक बाबू सँ सब क्यौ करैत
पीने मदमत्त जेना हाथी बताह कोनो
तेजी सँ अनढनायल कत्तहु जा रहल छलाह
की तखने भ' लटपट हाथ हैन्डिल सँ छूटि गेलनि
आ ट्रकक समक्ष ई गाड़ी छल आबि गेलनि
ट्रक त' निपत्ता भेल ,
आब मात्र सड़क छल
गाड़ी छल,
ई चारू सड़क पर
आ एक्कहि टा रंग जेना सब ठाम छल पसरि गेल....
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-82709637878971755772010-11-30T12:01:00.000+05:302010-11-30T12:01:37.417+05:30हम इंटरव्यू लेल छी तैयार....हम इंटरव्यू लेल छी तैयार....
सूट-बूट पर टाई लगा, हम इत्र समूचा आई लगा
आ ल' प्रमाण-पत्रक भंडार
इंटरव्यू लेल छी तैयार.......
हम सतत वर्ग में प्रथम केलहुं
नाटक गायन में भाग लेलहुं
हो भाषण व हो चित्रकला
सब में हम शीर्षे पर रहलहुं
अपना पर नहि तखनो प्रतीति
सब कहइत अछि चिंता बेकार
हम छी इंटरव्यू लेल तैयार........
हर इंटरव्यू में फेल भेलहुँ अछि
ओकरा सब लेल खेल भेलहुँ अछि
सबठा, सदिखन भेड़िया-धसान में
हम बस ठेलम-ठेल भेलहुँ अछि
कोनो बेर लहबे करतै
माँ कयने अछि कबुला हज़ार
हम छी इंटरव्यू लेल तैयार........
दाढ़ी संग मोछो कटा लेलहुं
हम टाई ठोंठ में सटा लेलहुं
चमचम जूता, उज्जर बुशर्ट
पर कारी पैटो सिया लेलहुं
ताहू पर स' औ छाटि देत
ज' नहीं छोड़बै मुस्की फुहार
हम छी इंटरव्यू लेल तैयार........
सय टा कुल सीटक बात छैक
ओहि पर हज़ार केर हाथ छैक
कतबो हम आगाँ रही पांति में
किछु सीट भी.आई.पी. कात छैक
एहि बेर मुदा संकल्प कयल
कोनो बाधा हो करब पार........
हम छी इंटरव्यू लेल तैयार........ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-29543716908720133622010-10-23T11:00:00.000+05:302010-10-23T11:00:58.612+05:30कि आब हम सुरक्षित छी?एक दिन हम बाट भटकि पहुंची गेलहुं जंगल में
छोट, पैघ, ठुठ्ठ, लदल सब तरहक गाछ छल
सनसनाइत हवा संगे सरसराइत पात छल
चिडै सबहक चीं चीं केर मद्धिम आवाज़ सेहो
हर्ष संगहि विस्मय भेल प्रकृतिक सुन्दरता पर
आह! कतेक सुन्दर अछि अंतर्मन बाजि उठल
मुग्ध भेल, मग्न भेल, अपलक ओहि दृश्य केर रहलहुं तकैत हम
कि एकरो मेटा देतै ?
क्रुद्ध भेल मन लोकक मानसिक दुर्बलता पर
कोना क्षणिक सुख भरि लेल
नष्ट-भ्रष्ट क दैत अछि यत्न स बनाओल गेल ईश्वर केर चित्रकला
कोना अपन सोफा,पलंग,आलमीरा लेल
छिन्न-भिन्न क दैत अछि, ईश्वर प्रदत्त ओहि औषधि संसार कें
कोना अपन स्वार्थ सिद्धि कहुना करबाक लेल
आन कोनो प्राणी केर जीबा केर
अधिकारो छीन लेल जाइत छैक
ई सब विचार सोचि मन छल अशांत भेल
बैसि गेलहुं माथ टिका गाछक वात्सल्य में,
ताबत धरि सब अरण्यवासी कें ज्ञात भेलनि,
जे जंगल केर बाहर सँ आयल
दू पैर बला फेरो अछि पशु कोनो
घेरा गेलहुं हम चहुँओर जीव-जंतु सँ
किछु समयावधि बाद अपन आंखि जखन फोलल हम
देखल जे दृश्य प्राण उपरे अटकि गेल
जतेक क्रोध,चिंता छल भीतरे सटकि गेल
हजारो प्रकारक छल, संख्या त' लाख में
हमर प्राण अटकल छल यमराजक हाथ में
प्रानघ्न पशु सब छल अगिले कतार में
प्राणक एक डोरी छल भगवानो हाथ में
तें कबुला-पाती केर सूची तैयार कयलहु
डरें छल आवाज़ बंद तखनो चीत्कार कयलहु
चौकी सँ खसि पड़लहूँ, धम्म ड़' आवाज़ भेल
आंखि हमर फ़ूजि गेल, नींद सेहो टूटि गेल,
फक्क द' क' सांस छुटल
आब हम सुरक्षित छी
मन में उसास भेल
मात्र एक स्वप्न छल ई से तखन ज्ञात भेल
मुदा एक प्रश्न उठल अगिले क्षण मन में
कि आब हम सुरक्षित छी ?
कि सत्ते सुरक्षित छी?
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-56491127295149087622010-04-25T13:23:00.000+05:302010-04-25T13:23:44.013+05:30गाछक व्यथाहमर स्कूल सँ घरक बीच में,
बाट पर छल
एकटा खूब विशाल, फल सँ लदल
पात सँ सजल
गाछ...
जकरा छाहरि में
हम सब सुस्ताइत छलहुँ
खेलाइत छलहुँ
आ डारि पर चढ़ी फल-फलहरी खाइत छलहुँ
मुदा समयक कुचक्र
ओकर पात कें खसा देलकई
फल केर बिला देलकई
ओतबे नहि निर्दयी,
ओहि गाछ कें सुखा देलकई
आबो ओही बाटे हम सब चलैत छी
स्कूल जाइत छी आ फेरो घुरैत छी
आबो ओ गाछ हमरा सब दिस तकैत अछि
ओही हुलसल दृष्टि संगे शोरो पाडैत अछि
मुदा,
आब हमही नहि कोनो बच्चा
ओकरा दिस तकितो नहि छी
आ खेलाइत-धूपाइत
ओही बाट पर चलैत-फिरैत
ओहि गाछ सँ बहुत दूर चलि जाइत छी
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com4tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-39559894473387880982010-04-24T20:43:00.002+05:302010-04-24T20:58:11.293+05:30आई "मानव" शब्द केर नहि भाववाचक फुरि रहल............कथी लेल पाप ली हम माथ पर जे सत कतहु बाजी
जखन फुसिए फटक केर बोलबाला अछि एखन संसार में
श्लीलता, शालीनता केर पाग रखने छी मुदा
अश्लीलता, उद्दंड़ता केर मांग अछि बाज़ार में
कथी लेल बात कोनो कहल गेल हम जेठ केर मानी
चलाबथि ओ हुकुम व्यर्थे, किये' ने हम कहब प्रतिकार में
माय-बाप संगे रहि प्रतिष्ठा हम खसाबी लोक लग?
वृद्धाश्रम में रहथि ओ से अछि एखन व्यवहार में
कथी लेल हम करी चिंता, किये' हम आन लेल कानी
जखन अर्थेक अर्थक बोध टा अछि बाँचि गेल संसार में
अपन सुतरय काज से सब टा लगायब व्योंत हम
आन केर सुख-दुखक चिंता की करब बेकार में ?
कोनो ई छल भयानक स्वप्न व सत्ते विचारक छल भंवर
छी आब चिंताग्रस्त आ भयभीत एहि विचार में
आई "मानव" शब्द केर नहि भाववाचक फुरि रहल
सिद्धांत ओ संवेदना भसिया चुकल अछि धार मेंADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-41340425446964956542009-12-02T13:47:00.000+05:302021-10-23T11:41:22.210+05:30हेरायल शैशवहोइछ इच्छा शिशुए रहितहुँ
देख' पड़ैत ने जाति-धर्म
वा
तथाकथित सामाजिक स्थान अपन
हंसबा लेल आ कि कनबा लेल
हँसितहुं तखने जँ मन खुशी
जँ मन दुखी तखने कनितहुं
होइछ इच्छा....................................
होइछ इच्छा शिशुए रहितहुँ
कर' पड़ैत ने छल कपट आ दुर्व्यवहार
ई जिनगी कें जीबाक लेल
वा पेट मात्र पोषबाक  लेल
पी लितहुँ माय केर दूध
और आशीष
संगे जीवित रहितहुँ
होइछ इच्छा........................
होइछ इच्छा शिशुए रहितहुँ
कर' पड़ैत ने मारि-पीट आपा-धापी
एहि अर्थयुगक बनबाक लेल
वा दलदल में धँसबाक लेल
स्नेह वृष्टि में भीजि-तीति हम
आनन्दक
अनुभव करितहुं
होइछ इच्छा.................................
होइछ इच्छा शिशुए रहितहुँ
देख' पड़ैत ने लुप्त होइत
मानवता मानव केर मन सँ
सुख-शान्ति सबहक घर आँगन सँ
सब क्यौ शैशव सँ शिक्षा ल'
निश्छल, निश्पापी बनि पबितहुँ
होइछ इच्छा.................................
ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-27284781049016227862009-12-01T13:33:00.000+05:302009-12-01T13:47:00.016+05:30तू आगू बढ़ शुरुआत त कर.................ऐ घोर निराशा में डूबल, प्राणी तू बढ़ शुरुआत त' कर
आकाश सेहो तू नापि सकै छें, अपना पर विश्वास त' कर
तू आगू बढ़....................
जँ राति भेलई भिनसरो हेतई, ई सत्य थिकै ने मेटा सकै
ई समयचक्र एहिना चलैत अछि, मुदा एकर सम्मान त' कर
तू आगू बढ़.........................
बस व्यर्थे नोर बहौने की? समदाउन उदासी गौने की?
हम गीत विजय केर गायब सदिखन, प्रण ई ल' जीवन में चल
तू आगू बढ़ .............................
भगवानो मदति करथि ओकरे, जे सतत कर्म में लागल हो
फुसिए चिंता त्यजि जग भरि कें, जो कर्तव्यक पालन तू कर
तू आगू बढ़ ................................
किछु काज एहन कर जीवन में, जे मानवजातिक हित में हो
मरियो क' अमर बनल रह्बैं, मनु कल्याणक तू बाट त' धर
तू आगू बढ़...................................ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0tag:blogger.com,1999:blog-7915577537491055317.post-1425067366700526182009-12-01T12:55:00.000+05:302009-12-07T11:54:13.446+05:30मंत्री उवाच..................छी मनुक्ख आ राजनीति करबाक अहाँ इच्छा रखैत छी
जन्मे सँ बुड़िलेल थिकहुँ की लोक देखि क ' भगल करै छी
देखू हमरा गत दसो वर्ष सँ मंत्री पद पर बैसि रहल छी
जे अबैत अछि सत्ता में हम तकरे पार्टी पैसि रहल छी
शहर राज्य केर किछु रईस में अपन नाम हम देखि रहल छी
फिफ्टी परसेन्टक लगभग त' फंडे में स' चूसि रहल छी
राजनीति में श्रेष्ठ थिकहुँ हम तें अपने स कहल करै छी
जन्मे सँ.....................................................................
समयक बंधन में नहि रहि हम अपन प्रतिष्ठा सतत बढाबी
पैघो सँ' पैघो अफसर कें आँगा-पाँछा अपन घुमाबी
अपने कतबो किछु क' ली धरि नीति केर उपदेश सुनाबी
शिलान्यास दस बीस पचासों क' नेता हम नीक कहबी
नेता केर हो एहन दुर्दशा? तें अपने स कहल करै छी
जन्मे सँ बुड़िलेल ....................................................
जे बाजब से किए करब हम मूलमंत्र बनब' पड़ैत अछि
ठकि फुसिया फेर भोट लेलहुँ ई प्रजातंत्र एहिना चलैत अछि
कतहु कतहु तँ बूथो तक कैप्चर हमरा करब' पड़ैत अछि
साम दाम वा दंड भेद सब विधा अपन लगब' पड़ैत अछि
बड़ सोझ सरल व्यवहार देखै छी, तें अपने स' कहल करै छी
जन्मे सँ..................................................................
आतंकी सबहक विरुद्ध जा अपना आफत किए मोल ली
लूटपाट में अपनहुँ छी तें ओकर पोल हम किए खोलि दी
सबटा बुझितो जनितो ओहि में अपना कें झोंक' पड़ैत अछि
आ राजनीति करबाक जँ इच्छा मानवता छोड़' पड़ैत अछि
गाँधी केर तीनू बानर कें अपन हम आदर्श बुझै छी
जन्मे सँ बुड़िलेल.........................................................ADITYA BHUSHAN MISHRAhttp://www.blogger.com/profile/13337437687877177544noreply@blogger.com0