डोलल धरती आयल भूकंप
सगरो नगर मचल हड़कंप
बच्चा, बूढ़, जवान हो किंवा
चिड़ी चुनमुनी कीट फतिंगा
डोलि रहल छल जेना मतंग
जे जहिठां छल बाहर भागल
प्राण सभक छल उपरे टांगल
धरती फाटल बनल सुरंग
तोहरे कSहल जग भरि मानय
तों हीं सब किछु के नहीं जानय
कियS उठौलहक एहन तरंग
सगरो नगर मचल हड़कंप
बच्चा, बूढ़, जवान हो किंवा
चिड़ी चुनमुनी कीट फतिंगा
डोलि रहल छल जेना मतंग
जे जहिठां छल बाहर भागल
प्राण सभक छल उपरे टांगल
धरती फाटल बनल सुरंग
तोहरे कSहल जग भरि मानय
तों हीं सब किछु के नहीं जानय
कियS उठौलहक एहन तरंग