Tuesday, November 8, 2016

भारतवर्ष

हिंदुस्तान कही वा भारत वा की जम्बूद्वीप
आब कहै छी इंडिया सब क्यौ सेहो चलू छै ठीक
चिड़ै छलै सोनाक देश कहबै छल आर्यावर्त हमर
सकल विश्व में, अद्भुत अनुपम ई थिक भारतवर्ष हमर

बालक भरत जाहिठाँ बाघक मुँह केर दांत गनै  छथि
कृष्ण जाहिठाँ  नागक फन पर जा क नृत्य करै छथि
भीष्म जाहिठाँ शरशय्या पर मासक मास रहै  छथि
राम जाहिठाँ वचनपूर्ति लेल सब किछु त्याग करै  छथि
विश्व कहत, देखबै एक दिन जे भारत थिक आदर्श हमर
सकल विश्व में अद्भत,अनुपम............

राणा प्रताप वा होथि शिवाजी वा की बाजीराव
वा पृथ्वीराज-चंदवरदाई केर हम कथा सुनाऊ
भगत सिंह, आज़ाद, सावरकर, रानी लक्ष्मीबाई
देशक हित बलिदान देलनि जे सबहि पूज्य छथि आई
सब महान सेनानी केर अछि सादर चरण स्पर्श हमर
सकल विश्व में अद्भुत, अनुपम......

मानल गाँधी, बुद्ध महावीरक छी हम अनुयायी
मुदा माथ पर चढ़ि नाचब त हमहूँ आतातायी
भूमिक टुकड़ी हेतै आन लेल, हम्मर भारतमाता
देश अपन अछि हमही सब छी भारत भाग्य विधाता
ई चुटपुजिया नेता सब नै दबा सकत संघर्ष हमर
सकल विश्व में सब स अनुपम....