Monday, October 12, 2009

परिवर्तन

लगय छगुनता देखिते-देखिते दुनिया की सँ की भS गेल

मुनचुन बाबा, चुना तमाकूल शुरू केलनि फेर खिस्सा-मेल

 

 कहलनि हम गामो सँ दरिभंगा पैरे चलि आबी

भिनसर में सबसँ पहिने प्राती गबैत छलथुन बाबी

दुईयो डेग जेबा सं पहिने आब देखै छी गाड़ी-तेल

आ मोबाइल, यू ट्यूबक युग में के रुकैत अछि भिनसर लेल

मुनचुन बाबा, चुना तमाकूल......

 

पहिने लालटेन वा डिबिये सँ चलि जाइत छल सब काज

लिखल जाइत छल चिट्ठी पहिने से पहुंचै छल मासों बाद

आई ततेक चहुंदिसँ इजोत अछि, डरें अन्हार निपत्ता भेल

आ एहि विडीयो कॉलक युग में अमरीको कोनटे लग भेल

मुनचुन बाबा, चुना तमाकूल......

 

पहिने दीपावली राति में छल लगैत दीपेक कतार

आ फगुआ दिन भीजि जाइत छल रंगहि सँ सब यार भजार

आब दीप केर जगह मात्र भुकभुकिया और फटक्का लेल

चैटे जीपीटी वा सीरीक आस आब अछि फगुओ लेल

मुनचुन बाबा, चुना तमाकूल......

No comments:

Post a Comment